विद्यापति गौरव मंच अपनेक स्वागत आ अभिनंदन करैत अच्छी , स्थान - विद्यापति नगर जलपुरा ग्रेटर नॉएडा उ० प्र० -201306 E-mail: vidyapatigouravmanch@gmail.com, madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150 , 9818999023

गुरुवार, 31 जनवरी 2019

समस्त भाई- बंधू एवम माता बहिन , जे दिल्ली एनसीआर में निवास करैत छी सबगोटेक सादर आमंत्रित छी |

                                    
                                         विद्यापति गौरव मंच   
के तत्वधान  में  विद्यापति नगर  जलपुरा  ग्रेटर   नोएडा  में स्थित संस्था  अच्छी ,  माँ सरस्वति के  दुतीय  पूजा एही बेर भरहल  अछि | अहि  शुभमंगल दिन बाबा विद्यापति जी के मूर्ति ,  केंद्रीय  मंत्री  डॉ  महेश शर्मा जी के कर कमलो द्वारा अनावरण  सेहो  कायल जायत ,  अहि  शुभ  अवसर के उपलक्ष्य  में ,  संस्कृतक  कार्य क्रम  आ  सांध्य  भजन -कीर्तन  के सेहो आयोजन  अच्छी , जाहि में  अपनेक  उपस्थित  अनिवार्य अछि  |    माँ सरस्वति जी के पूजा के प्रसाद  ग्रहण करी  आ  आशिर्वाद प्राप्त करि , 
    धन्यवाद || 

                                            



शुक्रवार, 11 जनवरी 2019


                          || तिलासंक्रान्ति ||
                      " भरल चगेंरी मुरही चुरा "
                                       

उठ - उठ बौआ रै निनियाँ तोर ।
अजुका   पाबनि   भोरे   भोर ।।
पहिने  जेकियो   नहयबे  आई ।
        भेटतौ तिलबा रे मुरही लाइ ।।  उठ....

ई पावनि छी मिथिलाक पावनि
सब  पावनि   सं   बड़का  छी ।
भरल     चगेंरी      मुरही     चुरा
तिलवा   लाई   उपरका   छी ।।

उपर  देहिया  थर - थर  काँपय
        भीतर मनुआँ भेल विभोर ।।  उठ....

   चहल पहल भरि मिथिला आँगन
 अइ पावनि के  अजब मिठाई ।
आई   देत   जे   जतेक   डुब्बी
 भेटतै   ततेक   तिलबा  लाई ।।

मुन्ना   देखि  भरय   किलकारी
            जहिना वन में कोइलिक शोर ।।  उठ...

बुढ़िया   दादी   बजा   पुरोहित
छपुआ साडी   कयलक दान ।
तील चाऊर बाँटथि मिथिलानी
    एहि पावनि केर अतेक विधान ।।

     "रमण" खिचड़ी केर चारि यार संग
              परसि रहल माँ पहिर पटोर ।।  उठ......

  गीतकार
     रेवती रमण झा "रमण"
   

  


Wikipedia

खोज नतीजे